Chalu Na Aeber Chhath Ghat Sidha Sari Me Samriti Mahato & Mohan Mahato Koiri

แชร์
ฝัง
  • เผยแพร่เมื่อ 14 ธ.ค. 2024
  • शिर्षक :- अइबेरके छठि घाट
    (२०८०/०६/३०)
    अखने सऽ लागि जाउ तन,मन,धन सऽ
    पहिचान बचाबके तयारी मे
    चलु नऽ अइबेर सजि-धजि कऽ
    छठि घाट सिधा सारी मे
    लड्का सब धोती-कुर्ता मे
    अखने सऽ तैयार रहु
    जतेक सकैछी एक-दोसर मे
    अई बातक परचार करु
    बाबा-पू्र्खाके मान,सान के
    हमही अहाँके बचाब परत
    चाहैछी सम्मान संस्कृति के
    तऽ एक डेग आगु आब परत
    माई,माटि आ मातृभूमि
    अहीँ सऽ उम्मीद रखने छै ।
    बचा लिय हिनका सबके
    उचित समय अखने छै
    छोरु दुनियाँ के कि कहैछै "मोहन"
    एकबेर बात बिचार करु
    जौं ठिक लागे ई गप हमर
    तऽ कृपया एकरा स्वीकार करु
    मोहन महतो कोईरी
    #bestlines #maithili #poetry #gajal #motivation #muskan

ความคิดเห็น •